Tuesday, August 18, 2026

एक बेर दुर्गेश बाबु ओफिस स थाकल अपन घर पहुंचलाह – मैथिली चुटकुला

मैथिली चुटकुला: एक बेर दुर्गेश बाबु ओफिस स थाकल अपन घर पहुंचलाह, कनिया स कहलखिंह - हे सुनय छी... एक कप चाय बनाबु ने माथ मे दर्द जकां बुझा रहल अछि... हुनकर कनिया कोनो बात के ल क फुलल छलीह...

Wife Husband Maithili Jokes

एक बेर दुर्गेश बाबु ओफिस स थाकल अपन घर पहुंचलाह

कनिया स कहलखिंह – हे सुनय छी… एक कप चाय बनाबु ने माथ मे दर्द जकां बुझा रहल अछि…

हुनकर कनिया कोनो बात के ल क फुलल छलीह

कनिया कहलखिंह – हमरा बुते नय हैत… गर्दन मे बहुते दर्द भ रहल अछि… पिबै के अछि त अपने बना लिय…

दुर्गेश भाय – फेर नौंटकी चालु क देलियै…

कनिया – नय… हम सच कहि रहल छी…

दुर्गेश भाय – सचे… तखन इम्हर आबु हम ठीक क दय छी…

कनिया – केना करब… पहिले बताबु…

दुर्गेश भाय – किछ जादा कर नय पड़त… आहां हमर माथा जोर स दबाउ और हम आहा के गर्दन जोर स दबा दय छी… दुनो गोटे के ठीक भ जैत…

इ सुनिते धरि कनिया चुपचाप चाय बनाव चली गेलीह।

➥ मैथिली चुटकुला और पढ़ैय के लेल क्लिक करू।

मैथिली समाचार से जुड़ल सब नब नब खबर जानै के लेल हमरा फेसबुक आ गूगल प्लस पर ज्वॉइन करू, आ ट्विटर पर फॉलो करू...
error: Content is protected !!