Friday, August 21, 2026

मैथिली चुटकुला: शर्मा जी (कन्डक्टर से)- यौ सकरी आयल की नै?

जय मिथिला... मजेदार मैथिली चुटकुला - एक बेर शर्मा जी बस में सफर क रहल छलाह। शर्मा जी (कन्डक्टर सं) - सकरी आबि गेल? कन्डक्टर - नै... शर्मा जी कनि देर के बाद - सकरी आबि गेल?

maithili funny jokes - maithili samachar

मजेदार मैथिली चुटकुला – एक बेर शर्मा जी बस में सफर क रहल छलाह।

शर्मा जी (कन्डक्टर सं) – सकरी आबि गेल?

कन्डक्टर – नै…..

शर्मा जी कनि देर के बाद – सकरी आबि गेल?

कन्डक्टर – एखन नै……

शर्मा जी फेर कनि देर के बाद पुछलैथ – यौ सकरी आयल की नै….

कन्डक्टर तमशायत बाजल – चुपचाप बैसल रहू, सकरी आयत त बता देब।

कनी देर के बाद कन्डक्टर के ध्यान आयल जे सकरी त पाछुये रही गेल….. बस त पण्डौल आबि गेल… ओ फेर बस घुमा क सकरी ल गेल।

कन्डक्टर शर्मा जी के कहलक – उतरु आबि गेलक सकरी।

शर्मा जी झोरा स दवाई निकाली क खेला आ बजला “आंगनवाली कहने छली जे सकरी आयत त दवाई खा लेब”… आब चलू… हम मधुबनी उतरब…

जय मिथिला………..🙏🙏🙏
😆😆😆😀😀😉😜😳

मैथिली जोक्स – शर्मा जी (कन्डक्टर से) – यौ सकरी आयल की नै?

➥ और मैथिली चुटकुला पढ़ैय के लेल एत क्लिक करू।

मैथिली समाचार से जुड़ल सब नब नब खबर जानै के लेल हमरा फेसबुक आ गूगल प्लस पर ज्वॉइन करू, आ ट्विटर पर फॉलो करू...
error: Content is protected !!